दरभंगा, 09 दिसम्बर – मुख्य सचिव बिहार, श्री त्रिपुरारी शरण केर अध्यक्षता में धान अधिप्राप्ति के ल’क ऑनलाईन बैसार कैल गेल।
बैसार में खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण विभाग के सचिव विनय कुमार बेरा-बेरी सं सबटा जिला सबमें कैल गेल धान अधिप्राप्ति’क संबंध में संबंधित जिलाधिकारी सं जानकारी प्राप्त कएलन्हि।
दरभंगा के एनआईसी सं जिलाधिकारी दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम, जिला आपूर्ति पदाधिकारी अजय कुमार, उप निदेशक जन संपर्क नागेंद्र कुमार गुप्ता आ जिला सहकारिता पदाधिकारी मो. अमजद हयात ऑनलाइन जुड़ल छलाह।

     उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा में  9 दिसंबर तक 1063 किसान सब सं 5703 मैट्रिक टन धान केर अधिप्राप्ति कैल गेल अछि। दरभंगा जिला’क लेल कुल 40 हजार मैट्रिक टन धान अधिप्राप्ति केर लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि।
     वर्ष 2021 के लेल धान’क समर्थन मूल्य 1940 रुपया प्रति क्विंटल आ गन्नी बैग के लेल अलग सः 25 रुपये देल जा रहल अछि।

    धान अधिप्राप्ति के लेल सरकार द्वारा 17 प्रतिशत आर्द्रता निर्धारित अछि। जिला सहकारिता पदाधिकारी कहलन्हि जे 18 सं 19 प्रतिशत आर्द्रता तक के धान’क अधिप्राप्ति सेहो कैल जा रहल अछि। जिला में 252 पैक्स आ 07 व्यापार मंडल, धान अधिप्राप्ति हेतु सक्रिय अछि। एखन धरि 18 मील मिलर सबहक पंजीकरण कैल गेल अछि आ 15 चावल मिलर सब कें पैक्स आ व्यापार मंडल सं संबद्ध सेहो कैल जा चुकल अछि।