दरभंगा, 29 दिसम्बर :- जिला में बढ़ि रहल शीतलहर के देखैत अनुमण्डल पदाधिकारी, सदर स्पर्श गुप्ता द्वारा पिछला राति शहर के भिन्न भिन्न स्थल सब पर यथा :- डी.एम.सी.एच., गायनिक वार्ड, हॉस्पिटल रोड, कर्पूरी चौक, दोनार रेलवे स्टेशन आ मिर्जापुर चौक पर भेटल गरीब, नि:सहाय लोक सबकें ठंडा के प्रकोप सं बचबाक लेल कम्बल उपलब्ध कराओल गेल। मौका पर अंचलाधिकारी, सदर उपस्थित छलाह ।