दरभंगा, 29 दिसम्बर :-
महाप्रबंधक, जिला उद्योग केन्द्र, दरभंगा द्वारा बताओल गेल जे सरकार’क सात निश्चय कार्यक्रम केर अंतर्गत युवा लोकनि के स्वरोजगार आ स्व-उद्यम स्थापित करबाक हेतु मुख्यमंत्री उद्यमी योजना’क अन्तर्गत दरभंगा जिला में भिन्न भिन्न चारि टा कोटि सबमें 594 टा आवेदक लोकनि के उद्योग विभाग, बिहार द्वारा अंतिम रूप सं चयन कैल गेल अछि, जकर सूची विभागीय बेवसाइट www.udyami.bihar.gov.in पर सेहो उपलब्ध अछि।
ओ कहलन्हि जे विभागीय पोर्टल पर सूची जारी करबाक उपरान्त चयनित आवेदक सबकें गुमराह आ भ्रमित करबाक लेल असामाजिक/ अनाधिकृत व्यक्ति सबहक द्वारा मोबाईल फोन’क माध्यम सं गलत सूचना के जानकारी देल जा रहल अछि आ अवैध रूप सं धन’क माँग सेहो कैल जा रहल अछि।
    ओ चयनित लाभुक सबकें एहेन कॉल के जानकारी पुलिस के देबाक आ असामाजिक तत्व सबहक चांगुंर मे नहि फसबाक अपील कएलन्हि।
        उन्होंने कहा कि सभी चयनित लाभुकों को अधिकृत जानकारी हेतु विभागीय पोर्टल या कार्यालय, महाप्रबंधक, जिला उद्योग केन्द्र, कबीरचक, गंज चौक, दरभंगा, से या महाप्रबंधक जिला उद्योग केन्द्र के मोबाईल नम्बर – 7320923233 तथा कार्यालय के उद्योग विस्तार पदाधिकारी अमित कुमार, मोबाईल नम्बर – 8210157575, रवि कुमार , मोबाईल नम्बर – 8384075236 एवं नंद किशोर यादव, मोबाईल नम्बर – 7903977692  पर चयनित आवेदकों को सही जानकारी प्राप्त किया जा सकता है।