दरभंगा जिला अंतर्गत पॉलिटेक्निक चौक स्थित जिला निबंधन कार्यालय में एकटा आधार कार्ड सेंटर अवस्थित अछि जतय आधार कार्ड बनाओल जा रहल अछि। लोक सबहक आरोप अछि जे व सरकार’क द्वारा बताओल गेल निशुल्क केंद्र सं जबरदस्ती आधार कार्ड क’ लेल ₹100सं150 रुपया बेसी लेल जा रहल अछि। जखन उपस्थित लोक सबहक द्वारा एकर विरोध कैल गेल तखन जिला निबंधन कार्यालय के द्वारा ई नोटिस चिपका देल गेल जे टेक्निकल प्रॉब्लम के कारणेँ आजुक दिन कार्य नहि होयत। एतय खुलेआम काजक लेल बेसी रुपया लेबाक बादे काज होइत अछि। ईआरोप उपस्थित लोक सबहक द्वारा लगाओल जा रहल अछि।