#MNN24X7 दरभंगा, आइ अपराह्न दू बजेसँ बाबूजीक लाइब्रेरीमे साहित्यकार भवेश चन्द्र मिश्र ‘शिवांशु’क परलोक गमनक उपरान्त हुनकर सद्यः प्रकाशित बारहम पोथी ‘मधुर मृदंग रसालक’ केर लोकार्पण सह श्रद्धाञ्जलि सभाक आयोजन कएल गेल।

ई पोथीमे महाकवि विद्यापतिक स्मरण करैत तत्कालीन मिथिलाक राजपरिवार, शिब सिंह, लखिमा रानी आ स्वयं विद्यापतिक पात्र बनाकऽ हुनकर विभिन्न श्रृङ्गारिक पदसभक रचनाक सम्भावित परिस्थितिक प्रयोग कएल गेल अछि। सरल आ सुबोध भाषा मे प्रस्तुत ई कृति विद्यापतिक नव ढंगसँ मूल्याङ्कन करैत अछि।

पोथीक समीक्षामे प्रो. सुरेन्द्र भारद्वाज, बैद्य गणपति नाथ झा, डा. योगानन्द झा, डा. सत्येन्द्र कुमार झा आ विशेष आमन्त्रित साहित्यकार प्रो. कमल मोहन चुन्नू भाग लेलनि आ पोथीक विभिन्न आयामपर सूक्ष्म समीक्षा प्रस्तुत कएलनि।

कार्यक्रमक आरम्भमे स्व. शिवांशुजीक सुपुत्र अखिलेश्वर मिश्र अपन पिताक जीवन आ साहित्यिक अवदानक संक्षिप्त परिचय देलनि। कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत प्रो. उषा झा शिवांशुजीक सरल, सौम्य आ स्नेहिल व्यक्तित्वक स्मरण कऽ भाव-विह्वल भऽ उठली।

कार्यक्रमक दोसर खण्डमे उपस्थित साहित्यकारसभ शिवांशुजीक प्रति श्रद्धाञ्जलि अर्पित कएलनि। अन्तमे दू मिनट मौन धारण कऽ ईश्वरसँ हुनकर आत्माक शान्तिक प्रार्थना कएल गेल।

कार्यक्रमक सञ्चालन हीरेन्द्र कुमार झा आ धन्यवाद ज्ञापन राजेश कुमार सिंह ठाकुर द्वारा कएल गेल। कार्यक्रमक सीधा प्रसारण फेसबुक पेज ‘सगर राति दीप जरए’ खाताक माध्यमसँ कएल गेल।