Breaking News

लखनऊ।उत्तर प्रदेश आब बला विधानसभा चुनाव सं पहिले यूपी 112 पर आओल एकटा मैसेज, पुलिस अफसर सबहक आंखि’क नींद उड़ा के रैख देलक।दीपक शर्मा नाम’क यूजर्स, प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ उत्तर प्रदेश कें मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ कें बम सं उडेबाक धमकी देलक अछि।पुलिस मामिला के जांच पड़ताल में जुटि गेल अछि।

भेटल जानकारी कें अनुसारे यूपी 112 पर दीपावली के अगिला दिन एकटा मैसेज आओल, जाहिमे लिखिल गेल छल पीएम मोदी और सीएम योगी कें बम सँ उड़ा देल जाएत।मैसेज’क संगहि अभद्र टिप्पणी सेहो कैल गेल छल। मैसेज ऐला’क बाद पुलिस ट्विटर अकाउंट के जांच पड़ताल शुरू क’ देलक।बताओल जा रहल अछि जे दीपक शर्मा नाम’क अकाउंट 4 नवंबरे क’ बनाओल गेल अछि।पुलिस सूत्र सब के कहनाई अछि जे जल्दीये आरोपी कें गिरफ्तार क’ लेल जायत।