•आंगनवाड़ी सेविका गर्भवती महिला सब आ धात्री महिला सब के चिन्हित क टीकाकरण के लेल करता प्रेरित
•जिला में गर्भवती आ धात्री महिला सब के संख्या एक लाख सं बेसी
•जिले के सबटा पीडीएस दुकान सब पर टीकाकरण अभियान के भेल शुरुआत

मधुबनी, 13 नवंबर। कोरोना संक्रमण सं बचाव’क लेल स्वास्थ्य विभाग द्वारा जिला में तेजी सं वैक्सीनेशन अभियान चलाओल जा रहल अछि। जकर असरि आब देखबा मे आब लागल अछि। स्वास्थ विभाग के आंकड़ा सब के अनुसारे जिला के 62% लोक सबकें टीकाकरण सं आच्छादित क’ देल गेल अछि । जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ एस.के. विश्वकर्मा ने बताया कहलनि प्रारम्भ में टीकाकरण क ल’ लोक सबकें पाबनि के ल मोन में कईएक तरहक भ्रांति सब छल मुदा जिला प्रशासन आ स्वास्थ्य प्रशासन के आ सहयोगी संस्था के बेहतर रणनीति के कारणेँ लोकसब के टीकाकरण के प्रति जागरूक कैल गेल आ कई एक तरह के भ्रांति सब दूर कैल गेल। जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ एसके विश्वकर्मा ने कहलनि जिला के सबटा पीडीएस दुकान सब पर टीकाकरण अभियान के शुरुआत कैल गेल अछि। जत एखन तक टीकाकरण सं वंचित लोक सबकें टीकाकरण कएल जा रहल अछि ई अभियान 15 नवंबर तक चलत आ 16 नवंबर सं 27 नवंबर तक जिला में विशेष अभियान चलाओल जाएत।

62 % लोक सबकें भेल टीकाकरण:

जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ एसके विश्वकर्मा ने कहलन्हि जे जिला में 31.40 लाख लोक सब के टीकाकृत करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। लक्ष्य के विरुद्ध 27.72 लाख सं बेसी लोक सबकें टीकाकृत कएल जा चुकल अछि। जाहि मे 20,10,720 लोक सब के पहिल डोज आ 7,61,986 लोक सब के दोसर डोज देल जा चुकल अछि।