Breaking News

#MNN@24X7 डॉक्टर परमेश्वर झा ननौर गामक पहिल ग्रैजुएट होयबाक गौरव प्राप्त केने छला। चारि टा महत्वपूर्ण ग्रंथ लिखि शोधकर्ता लोकनिकेँ राजनीति शास्त्रक माइल स्टोन सँ परिचित करा देलनि। हुनक एक एक टा पोथीपर अनेक टीका लिखा सकैत अछि। ओ मात्र एक व्यक्ति टा नहिं अपितु स्वयं मे एकटा संस्थान छलनि। सरस्वती आ लक्ष्मी दुनू जेना हुनका घरमे खूटेसल छलथिन। उपकार करबाक लेल सदिखन तत्पर रहैत छला। ओ अपन मार्ग दर्शन मे विद्वानक फौज ठाढ़ क’ देलनि। हुनका संबंध मे कतबो कहब त’ कमे होयत। अपन भौतिक शरीरक संग भने हमरा सभक बीच नहिं छथि किन्तु कृतित्वक बले ओ अमर रहता। उपर्युक्त गप वक्ता लोकनि बजला। ई अवसर छल मासिक गोष्ठीक। अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौरक तत्वावधान मे रविकेँ (26/03/2023) शिवेश्वर झाक आवासीय परिसरमे दू सत्र मे मासिक गोष्ठीक आयोजन भेल।

पहिल सत्र प्रो.देवेन्द्र झा दीनक अध्यक्षता आ डॉक्टर संजीव शमाँक संचालन मे सम्पन्न भेल। एहि मे डॉक्टर जयानंद मिश्र, शशांक शेखर झा,प्रो.रवीन्द्र नाथ झा,डॉक्टर संजय कुमार झा सहित अनेक वक्ता डॉक्टर झाक व्यक्तित्व आ कृतित्व पर प्रकाश देलनि। तत्पश्चात शिवेश्वर झाक अध्यक्षता मे एकटा झमटगर कवि गोष्ठीक आयोजन भेल जकर संचालन अखिलेश कुमार झा आ स्वागत भाषण संस्थाक अध्यक्ष डॉक्टर जयानंद मिश्र केलनि।

एहि अवसरपर अनिल कुमार झा,आनंद मोहन झा,राघव रमण,सत्येन्द्र कर्ण,देवानंद मिश्र, समीर दास,अमरकांत लाल,प्रदीप पुष्प, संजीव शमाँ, गौड़ीशंकर साह,सुश्री प्राची कुमारी,सहित कतेको कवि लोकनि अपन काव्य सरिता प्रवाहित केलनि।

एहि अवसरपर खुशी मिश्र, दुर्गा नंद झा,प्रभाकर झा,विभाकर झा,नरेश मिश्र, भगवान जी मिश्र, फुलीन्द्र मिश्र, रंजीत झा,लीलाकांत झा,रमण जी मिश्र, संतोष कुमार,अखिलेश मिश्र सहित कतेको गणमान्य उपस्थित छला।

एहि अवसर पर प्रोफेसर देवेन्द्र झा दीनकेँ सर्वसम्मति सँ अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौरक संरक्षकक दायित्व प्रदान कयल गेलनि जे ओ सहर्ष स्वीकार केलनि।

आजुक एहि गोष्ठीक अन्तमे संयोजक मनोज कुमार झा(सुमनजी)

धन्यवाद ज्ञापन केलनि। एकरा संगहि अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौरक ई चारिम मासिक गोष्ठी सफलता पूर्वक सम्पन्न भेल। आब अगिला मास पुनः संस्था मासिक गोष्ठीक आयोजन करत।