ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कामेश्वर नगर दरभंगा द्वारा आयोजित अंतर महाविद्यालय कराटे प्रतियोगिता 2021-22 दोसर दिन’क समापन समारोह कुंवर सिंह महाविद्यालय परिसर में कैल गेल जकर अध्यक्षता प्रधानाचार्य प्रोफेसर डॉ अशोक कुमार कएलन्हि। कराटे प्रतियोगिता’क समापन समारोह में मुख्य अतिथि बड़ौदा बैंक के रीजनल मैनेजर शिव शंकर सिंह, विशिष्ट अतिथि जिला खेल संघ के सदस्य आ कबड्डी संघ के सचिव मोहम्मद अखलाकुउर रहमान, बड़ौदा बैंक के शाखा प्रबंधक अरविंद मिश्रा उपस्थित छलाह। कराटे प्रतियोगिता क’ सफल संचालन में रेफरी आ जज केर रूप में राम विलास यादव, अमरेंद्र किशोर ,हर्ष कुमार सिन्हा ,शत्रुंजय सिंह, सुरेंद्र कुमार आनंद आ चयन समिति के रूप में मुकेश कुमार मिश्रा, पवन कुमार साहनी ,कृष्ण कुमार मंडल आ तकनीकी सहायक अमित कुमार चौधरी के संयुक्त रूप सं कुशल निर्देशन में प्रतियोगिता केर सफल समापन कैल गेल । कराटे प्रतियोगिता में 22 महाविद्यालय’क 60 गोट प्रतिभागी लोकनि शामिल भेलाह।

कार्यक्रम के मुख्य अतिथि बड़ौदा बैंक के रीजनल मैनेजर शिव कुमार सिंह कहलन्हि जे कराटे में बिना हथियार के अपन रक्षा आ आक्रमण केनाई सिखाओल जाइत अछि संगहि ससस्त्र विरोधी सबहक खिलाफ स्वयं के बचाव केनाई सेहो सिखाओल जाइत अछि। ई आधुनिक लड़ाकू खेल अछि। ई आत्मरक्षा, अनुशासन, फिटनेस, अपना पर विश्वास, धैर्य आ आदर केर भाव सिखबैत अछि। विभिन्न महाविद्यालय सबसँ आयल प्रतिभागी के बहुत सुंदर प्रदर्शन भेल ।
विशिष्ट अतिथि जिला कबड्डी संघ के सचिव आ खेल संघ के सदस्य मोहम्मद अखलाकुउर रहमान प्रतिभागी सबकेँ संबोधित करैत कहलनि जे खेल में मेडल जीतनाई टा उपयोगी नहि, खेल में भाग लेनाई सेहो बहुत उपयोगी अछि।