Breaking News

दू दिवसीय अन्तर महाविद्यालय खो – खो (महिला) टूर्नामेंट 2021-22 के शुभारंभ भेल।

प्रतियोगिता के उद्घाटन प्रधानाचार्या प्रो. सुनीता सिन्हा, डॉ.एलकेवीडी कॉलेज,ताजपुर के प्रधानाचार्य प्रोफ़ेसर शंभू कुमार यादव, बीआरबी कॉलेज, समस्तीपुर के प्रधानाचार्य डॉ वीरेंद्र कुमार चौधरी आ आर एन ए आर कॉलेज, समस्तीपुर के प्रधानाचार्य प्रोफ़ेसर सुरेन्द्र प्रसाद, संयुक्त रूप सं दीप प्रज्वलित, फीता काटि आ नारियल फोड़ि के कएलन्हि। समस्त अतिथि गण खिलाड़ि सबहक का हौसला बढ़ेलनि।
उद्घाटन मैच वीमेंस कॉलेज, समस्तीपुर आ डॉ. एलकेवीडी कॉलेज, ताजपुर के बीच भेल।

उद्घाटन मैच में मेजबान वीमेंस कॉलेज, समस्तीपुर, डॉ .एलकेवीडी कॉलेज, ताजपुर के एक पाली आ 5 अंक सं पराजित क देलक। दूसरे मैच में एम के कॉलेज, दरभंगा के टीम एक पाली आ 7 अंक सं एमआरजेडी कॉलेज, बेगूसराय के पराजित क’ फाइनल में पहुंचि गेल। सेमीफाइनल में वीमेंस कॉलेज, समस्तीपुर, एएनडी कॉलेज, पटोरी के 1 पॉइंट सं पराजित कर फाइनल में प्रवेश केलक।
फाइनल रविदिन वीमेंस कॉलेज, समस्तीपुर आ एम के कॉलेज, दरभंगा के बीच खेलल जायत।मैच के समापन समारोह में माननीय विधायक श्री अख्तरुल इस्लाम शाहीन मुख्य अतिथि हेताह। प्रतियोगिता में वीमेंस कॉलेज समस्तीपुर, डॉ.एलकेवीडी कॉलेज, ताजपुर, एएनडी कॉलेज, पटोरी, एमआरजेडी कॉलेज, बेगूसराय आ एम के कॉलेज, दरभंगा के टीम भाग ल’ रहल अछि।

दरभंगा सं राजू सिंह के रिपोर्ट