कैल दिनांक 14 .12. 2021 के दिनमे 10:00 बजे विश्वविद्यालय संगीत आ नाट्य विभाग , ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के प्रेक्षागृह / प्रांगण में अंगिका लोक पर्व सह मिथिला लोक पर्व केँ शुभारंभ भेल।

सांस्कृतिक संस्था “हुंकार”, साहेबपुर कमाल ,बेगूसराय आ विश्वविद्यालय संगीत आ नाट्य विभाग, दरभंगा के द्वारा आयोजित “अंगिका लोक पर्व ‘ सह मिथिला लोक पर्व’क पहिल दिन मंजूषा चित्रकला केर प्रशिक्षण अश्विन आनंद नौगछिया ,भागलपुर के द्वारा देल गेल संगहि मिथिला मिथिला चित्रकला के प्रशिक्षण दर्शन कुमार आ जया कुमारी के द्वारा देल गेल। कार्यशाला में लगभग 160 टा प्रशिक्षु सब सम्मिलित भेलाह आ मंजूषा चित्रकला आ मिथिला चित्रकला के शैली गत विशेषता सब आ महीनता के सीखलनि आ माननीय प्रति कुलपति कार्यक्रम के उद्घाटन माननीय कुलपति के कर कमल सं कैल गेल। आगत अतिथि सबकेँ स्वागत पुष्प गुच्छ , प्रतीक चिन्ह सं कैल गेल। विभागाध्यक्ष प्रो0 पुष्पम नारायण स्वागत भाषण में कार्यक्रम’क उद्देश्य आ महत्ता पर रोशनी देलन्हि। दीप प्रज्वलन के संगहि नृत्य मंजरी , दरभंगा के कलाकार सबहक द्वारा विद्यापति रचित जय-जय भैरवी गीत पर भाव नृत्य प्रस्तुत कएल गेल। नृत्य प्रस्तुति के पश्चात मुख्य अतिथि आ उद्घाटनकर्ता अपन उद्बोधन में कार्यक्रम केर सफलता क’ शुभकामना सबहक संग हुंकार आ विभाग के धन्यवाद ज्ञापित कएलन्हि। विभाग’क छात्र सब आ नृत्य मंजरी के कलाकार सब लोक गीत आ लोक नृत्य में सोहर ,जर-जटिन ,झूमर ,सामा- चकेवा कजरी सहित विभिन्न कला रूप सबहक प्रस्तुति क’ सबहक मोन मोहि लेलनि। संध्या 6:30 बजे सं लोकनाट्य “बहुरा गोढ़ीन” केर प्रस्तुति प्रतिभा लोक कला रंगमंच बेगूसराय के कलाकार सबहक द्वारा कैल गेल जे कि राति तक चलैत रहल। दर्शक मंत्रमुग्ध भ’ कार्यक्रम के आनंद उठेलथि।

मंच संचालक अखिलेश कुमार झा कएलनि आ धन्यवाद ज्ञापन विभाग’क शोध छात्र हरिशंकर गुप्ता कएलन्हि। कार्यक्रम के सफल आयोजन में दी स्पोर्ट लाइट थिएटर के कलाकार सबहक संग सागर कुमार सिंह , राजा रौशन कुमार ,पंकज कुमार सबहक सक्रिय सहयोग रहल । ई दू दिवसीय कार्यक्रम संस्कृति मंत्रालय भारत सरकार द्वारा प्रायोजित अछि । भारत सरकार केर सांस्कृतिक मंत्रालय लोक कला क आगू बढ़ेबा हेतु सदैव एहन कार्यक्रम सब के प्रायोजित करैत अछि। एहि कार्यक्रम में विभागीय शिक्षक डॉ वेद प्रकाश ,डॉ सुनील ठाकुर, हेमेंद्र लाभ ,सुधीर कुमार आदि उपस्थित रहथि ।