अयोध्या। प्रभु श्रीराम केर नगरी अयोध्या में एकहि संग 11 राज्य’क मुख्यमंत्री आ आठ उप-मुख्यमंत्री के संग बीएमसी के महापौर’क पहिल बेर आगमन होयत। एहि सं पहिले राम मंदिर आंदोलन के दौर मे 1991 मे उत्तर प्रदेश सहित चारि राज्य मध्य प्रदेश, राजस्थान आ हिमाचल प्रदेश के मुख्यमंत्री केर राम नगरी में एक संग आगमन भ’ चुकल अछि।मुदा तखन आ’ आब’क हालात पूरा तरहें भिन्न अछि। ओ समय संघर्ष’क छल,आब ओहि सबटा चुनौति सबसँ उबरि के नब इतिहास रचबाक समय अछि।राम नगरी के नबका इतिहास में मुख्यमंत्री सबके एकहि संग आगमन के अध्याय सेहो जोड़ल जायत।

प्राप्त जानकारी क’ अनुसारे आध्यात्मिक नगरी काशी में काशी विश्वनाथ मंदिर काॅरिडोर क’ लोकार्पण समारोह के बाद मुख्यमंत्री परिषद केर बैसार में हिस्सा लेबाक बाद ई सबटा मुख्यमंत्री आ उप-मुख्यमंत्री सांस्कृतिक राजधानी सं सूबा के राजधानी लखनऊ पहुंच चुकल छथि।ई सबगोटे बुधदिन पूर्वाह्न 11 बजे हवाई मार्ग सं राम नगरी हवाई पट्टी पहुंचता। एतय सं सबगोटे के हाईवे स्थित होटल आनल जेतनि। एत विश्राम के बाद सबटा वीवीआईपी सरयू दर्शन के लिए पहुंचता आ एकर बाद रामपैड़ी केर अवलोकन करताह।सब कियो हनुमानगढ़ी में आराध्य के दर्शन करताह। एकर बाद अपन यात्रा क’ अंतिम कार्यक्रम के अन्तर्गत दोसर पारी में रामजन्मभूमि में विराजमान रामलला के दरबार में माथ टेक’के कृतकृत्य हेताह।हिनका सबहक परिसर में स्वागत रामजन्मभूमि ट्रस्ट दिस सं कैल जायत आ दर्शन के मध्य राम मंदिर निर्माण’क प्रगति के बारे में जनतब सेहो देल जायत।

मुख्य सचिव आरके तिवारी राम नगरी अयोध्या में एकहि संग 11 राज्य’क मुख्यमंत्री सब आ आठ उप-मुख्यमंत्रियों केर आगमन के देखैत मंगलदिन दिन में करीब आठ बजे राम नगरी पहुंचि के सबसं पहिले हनुमानगढ़ी में माथ टेकलनि आ इकर बाद ओ रामजन्मभूमि परिसर पहुंचलाह।

मुख्य सचिव दर्शन केला के बाद जिला प्रशासन’क आला अधिकारी सबहक संग गपशप कएलन्हि आ व्यवस्था के जानकारी लैत आवश्यक निर्देश देलन्हि।एहि मध्य ओ सरयू दर्शन के लेल गेलाह ओकर बाद फेर रामपैड़ी के सेहो अवलोकन कएलन्हि।जिलाधिकारी नितीश कुमार आ एसएसपी शैलेष कुमार पाण्डेय सहित आन अफसर सब फेर हवाई पट्टी सहित वीवीआईपी के सबटा कार्यक्रम स्थल सबहक भ्रमण क’ आवश्यक व्यवस्था के निर्देश जिम्मेदार अधिकारी सबकें देलन्हि।