*जाले के एमओआईसी के वेतन भेलन्हि स्थगित*
*बिरौल आ कुशेश्वरस्थान के एएनएम भेलथि निलंबित*

दरभंगा, 01 नवंबर 2021 :- कोविड-19 सं बचाव आ सुरक्षा क ल’ के चलाओल जा रहल टीकाकरण कार्यक्रम क ल’के बाबा साहेब डॉ0 भीमराव अंबेडकर सभागार में जिलाधिकारी डॉ त्यागराजन एसएम केर अध्यक्षता में स्वास्थ्य विभाग के पदाधिकारी लोकनि एवं आ सबटा प्रखंड विकास पदाधिकारी, प्रखंड प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी, बाल विकास परियोजना पदाधिकारी के संग बैसार आयोजित कैल गेल।
    बैसार में जिलाधिकारी सब प्रखंड विकास पदाधिकारी, प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी के सर्वे में छुटल लोक सबकें फर्स्ट डोज के टीका लगेबा के लेल एएनएम वार लक्ष्य निर्धारित करबाक निर्देश देलथि आ अगिला 3 दिन में सबटा छूटल लोक सब के पहिल डोज के टीका लगबेनाई सुनिश्चित करबाक लेल कहलखिन्ह। ओ कहलन्हि जे छठि घाट पर जे लोक एताह  हुनका सब केँ टीकाकरण जरूरी अछि। ओ सबटा प्रखंड विकास पदाधिकारी, अंचलाधिकारी आ प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी के संयुक्त रूप सं छठी पूजा आयोजन समिति सब के संग बैसार क एकरा सुनिश्चित करेबाक लेल कहलनि।
     ओ कहलनि जे प्रमुख छठि घाट सब पर आब के लेल कोविड टीकाकरण जरूरी अछि। पानी से घेराओल केवटगामा, गोलमा आ तिलकेश्वर जेहन क्षेत्र में टीकाकरण दल के रात्रि विश्राम क सबटा छूटल लोक सबकें टीकाकरण कए’के वापिस एबाक निर्देश देल गेल।
     ओ कहलनि जे सबटा प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी आ प्रखंड चिकित्सा पदाधिकारी अगिला 2 दिन तक के टीकाकरण के कार्ययोजना बना लैथ आ टीकाकरण केंद्र वार लक्ष्य निर्धारित करैथ आ छूटलाहा लोक सबकें टीकाकरण करेनाई सुनिश्चित करथि।
    प्रतिदिन प्रातः 7:00 बजे सं टीकाकरण केंद्र चालू भ जाए एकरा प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी सुनिश्चित करथि।
      चलि रहल टीकाकरण काजक समीक्षा क्रम में पाओल गेल कि बिरौल केर एएनएम नेहा कुमारी आ कुशेश्वरस्थान के एएनएम किरण कुमारी काज मे बेसी लापरवाही बरैत रहल छथि। जकरा लेल हुनका निलंबित क देल गेल अछि संगहि काज में अपेक्षित प्रगति नहि पाओल गेला पर जाले के प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी के वेतन स्थगित करैत स्पष्टीकरण के मांग कैल गेल अछि।
      समीक्षा के दौरान केवटी, मनीगाछी, बहादुरपुर, जाले, कुशेश्वरस्थान पूर्वी आ कुशेश्वरस्थान पश्चिमी प्रखंड के प्रगति संतोषजनक नहि पाओल गेल। अगिला दू दिन तक हुनका टीकाकरण काज में सुधार आनबाक कड़गड चेतावनी देल गेल अछि।
  बैठक में उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया, सहायक समाहर्ता अभिषेक पलासिया,सिविल सर्जन डॉ अनिल कुमार, डीपीएम विशाल कुमार, जिला प्रतिरक्षण पदाधिकारी डॉ अमरेंद्र कुमार मिश्र, जिला कल्याण पदाधिकारी हरेंद्र प्रसाद, डीपीएम जीविका मुकेश कुमार तिवारी, जिला प्रोग्राम पदाधिकारी समेकित बाल विकास योजनाएं डॉ रश्मि वर्मा, यूनिसेफ के डॉ0 ओंकार चंद्र व शशी कांत सिंह, डब्ल्यूएचओ के डॉ0 वासव कुमार सहित तमाम पदाधिकारी उपस्थित छलाह।