काल्हि दिनांक 31.10 .2021 के मिल्लत कॉलेज दरभंगा एनएसएस इकाई के तत्वाधान में सात दिवसीय विशेष शिविर के समापन समारोह के आयोजन मध्य विद्यालय बीबी पाकड़ि दरभंगा में संपन्न भेल। कार्यक्रम के अध्यक्षता महाविद्यालय के अंग्रेजी विभागाध्यक्ष प्रोफेसर विजय मिश्रा कएलन्हि। मुख्य अतिथि के रुप में एनएसएस के समन्वयक के विश्वविद्यालय के डाक्टर आनंद प्रकाश गुप्ता समारोह में भाग लेलनि ओ गांधीजी के जीवन के चरितार्थ करैत हुनकर आदर्श काज पर चर्चा के राष्ट्रीय सेवा योजना सं जुड़ै विशेष शिविर की उपयोगिता के राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय स्तर के योजना सबहक बारे में विस्तार सं बताओल गेल आऔर एकता दिवस के शुभ अवसर पर सरदार वल्लभभाई पटेल भाई पटेल के जीवनी आ स्वतंत्रता सेनानी के रूप में हुनकर योगदान कें दर्शित केलैन तखन फेर सं विजय मिश्रा स्वयंसेवक सबकेँ संबोधित करैत कहलनि जे देश के 70% भागे भेल अछि आ ओकर जिम्मेदारी सेहो बेसी अछि। हुनकर दायित्व है अपने परिवार ,समाज आ पर्यावरण के प्रति छईन्ह जिम्मेदारि सब के निर्वहन करेैथ। ओ स्वयंसेवक लोकनि क प्रकृति के संग जुड़ल रहबा लेल कहलनि आ ओ कहलनि जे अपने देश के स्वच्छ बनाबै में भरसक प्रयास करबाक चाही संगहि महामारी के दौरान स्वयंसेवक लोकनि के काज सबहक सराहना केलनि ओ वर्तमान के संग चल आ भविष्य के छोड़बाक लेल कहलनि स्वयं सेवक लोकनि के परिवार, समाज आ राष्ट्रीय हित में काज केनाई सर्वोपरि अछि ओ एकटा कथन में कहा
लनि “मौत क्या थी मुझसे ना पूछो दोस्तों मुसाफिर को रास्ते में नींद आ गई ” डॉक्टरआर.एन .चौरसिया पूर्व कार्यक्रम पदाधिकारी विभागाध्यक्ष संस्कृत विभाग सीएम कॉलेज दरभंगा नेशन सैनिक लोकनि के जीवन के महत्वपूर्ण आयाम सब पर चर्चा केलन्हि। ओ कहलनि जे राष्ट्रीय सेवा योजना के काज में कैल 2 वर्ष के अवधि स्वयंसेवक सब में सकारात्मक ऊर्जा के संचार करैत अछि मानव के चरित्र व्यक्तित्व आ मानवीय मूल्य सबहक निर्माण करैत अछि डॉक्टर चौरसिया ने कहलनि जे अपन गोद लेल गामके विकास में सहयोग करबाक चाही आ संगहि ओकरा विकसित करनाई आवश्यक अछि।

डॉ भक्ति नाथ झा रिटायर्ड समाजशास्त्र विभाग, मिल्लत कॉलेज, दरभंगा स्वयंसेवक लोकनि के मोटिवेशन व्याख्यान देलनि युवक कोऊर्जावान आ हरेक परिस्थिति में लड़बाक क्षमता हेबाक चाही ताहि कारणें शिक्षित बनू अपन समाज के आगू बढ़ेबा में अपन भागीदारी के सुनिश्चित करी । डॉक्टर अशोक कुमार सिंह के कॉलेज दरभंगा कार्य के कार्यक्रम पदाधिकारी स्वयंसेवक लोकनि के उत्साह पूर्वक काज करबाक लेल बधाई देलनि मोहम्मद आकिब आ मोबिना सात दिवसीय विशेष शिविर के कार्यक्रम के अनुभव सब के संग साझी केलनि। प्रधानाचार्य प्रो.डॉ सरदार अरविंद सिंह सब स्वयंसेवक सब कें कार्यक्रम के सफल बनेबाक लेल धन्यवाद देलनि आ स्वयं सेवक सबहक उज्जवल भविष्य के कामना केलनि।

सारिक अंजार राष्ट्रीय एकता दिवस के अवसर पर लौह पुरुष वल्लभभाई पटेल की जीवनी पर व्याख्यान देलनि कार्यक्रम केर मंच संचालन डॉक्टर इंसान अली विभागाध्यक्ष मनोविज्ञान ,मिल्लत कॉलेज केलनि धन्यवाद ज्ञापन कार्यक्रम पदाधिकारी डॉक्टर सोनी शर्मा केलनि कार्यक्रम में डॉक्टर एयाज अहमद डॉक्टर अब्दुल राफे, डॉ शहनवाज आलम , मो.साजिद एकबाल ,आरजू , रामाशंकर झा, मो.शेइख हमरीदी, प्रीति पीटर, विद्यालय के सभी शिक्षक शिक्षकेतर कर्मचारी , 50 स्वयंसेवक आ कोविड टीकाकरण कर्मी शामिल छलाह।