ल. ना. मिथिला विश्वविद्यालय के इतिहास विभाग पूर्ववर्ती छात्र संघ के द्वितीय मिलन समारोह केर एकदिवसीय आयोजन आगामी 29 जनवरी 2022 के हैत. उक्त निर्णय पूर्व इतिहास विभागाध्यक्ष प्रोफेसर माधब चौधरी केर अध्यक्षता में सम्पन्न पूर्ववर्ती छात्र संघ की कार्यकारिणी समिति के बैसार में लेल गेल. मिलन समारोह के अवसर पर पहिले जकाँ डाक्टर सुशांत कुमार के सम्पादन में भव्य स्मारिका “परिसंवाद, अंक-2, ” के प्रकाशन हैत, जिकरा लेल आलेख आमंत्रित कैल गेल अछि. गौरतलब अछि जे इतिहास विभाग के पूर्ववर्ती छात्र लोकनि शैक्षिक, साहित्यिक, प्रशासनिक, पुलिस सेवा, सार्वजनिक आ निजी क्षेत्र आ विशेष रूप सं इतिहास अध्ययन के क्षेत्र में राज्य आ राष्ट्रीय स्तर परअपन विशिष्ट योगदान सं विभाग आ
विश्वविद्यालय केर नाम रौशन केलनि अछि. इतिहास विभाग ल. ना. मिथिला विश्वविद्यालय के एकसर विभाग अछि, जे पूरा देश में पसरल इतिहास के पूर्ववर्ती छात्र लोकनि के संगठित क अपन खास पहिचान हचान बनेलक अछि.
बैसार मे इतिहास विभागाध्यक्ष प्रोफेसर मो. नैय्यर आजम, पूर्व विभागाध्यक्ष प्रोफेसर प्रभास चन्द्र मिश्र आ संघ के आजीवन संरक्षक प्रोफेसर धर्मेन्द्र कुमर के अलावे उपाध्यक्ष डा. अवनीन्द्र कुमार झा, सचिव डा. जमील हसन अंसारी, कोषाध्यक्ष डा. अमरजीत कुमार, डा. अमरनाथ ठाकुर, डा. शिवकुमार पासवान, डा. आरती कुमारी, डा. पुष्पा कुमारी, डा. प्रियंका कुमारी, डा. रश्मि रूपम, डा. संजय कुमार सहनी, डा. संजय कुमार आजाद, डा. अनुज कुमार, डा. सुशांत कुमार आदि शामिल छलाह . आयोजन के ऐतिहासिक आ अविस्मरणीय बानाबई के संकल्प के संग बैसार समाप्त भेल .