चारि वर्षीय इंटीग्रेटेड बी.एड.2021 (CET-Int-B.Ed.-2021) में नामांकन क लेल नोडल विश्वविद्यालय ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के दिस स जारी दोसर सूची के आधार पर 31.10.2021 के पहिल दिन ऑफलाइन काउंसिलिंग में 75 अभ्यर्थिय सब अपन नामांकन करेलनि। 75 अभ्यर्थि लोलनि ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के परिसर स्थित जुबली हॉल में स्वयं उपस्थित भ अपन नामांकन केर प्रक्रिया पूरा केलैथ। एहिमें भौतकी में 07, रसायन में 06, जूल़ॉजी में 09, बॉटनी में 07, गणित में 05, हिंदी में 07, अंग्रेजी में 06, संस्कृत में 03, इतिहास में 11, भूगोल में 05, राजनीति विज्ञान में 05 और अर्थशास्त्र में 04 अभ्यर्थि लोकनि काउंसिलिंग करा के नामांकन करेलनि। एहिमें बैद्यनाथ शुक्ला कॉलेज ऑफ एजुकेशन में 13, बसुंधरा टीचर्स ट्रेनिंग कॉलेज में 14, माता सीता सुंदर कॉलेज ऑफ एजुकेशन में 22 और शहीद प्रमोद बी.एड. कॉलेज में 26 अभ्यर्थिलोकनि नामांकन लेलनि।

राज्य नोडल पदाधिकारी प्रो. अरुण कुमार सिंह कहलनि जे दोसर सूची के तहत प्रत्येक दिन काउंसिलिंग क लेल 500 अभ्यर्थि सब कें रैंक के अनुसार बजाओल गेल है। सेकेंड राउंड के काउंसिलिंग के प्रक्रिया 02.11.2021 तक चलत। दोसर सूची के आधार पर जाहि अभ्यर्थि सब कें महाविद्यालय आवंटित कैल गेल अछि। जौं ओ तय समय पर आवंटित महाविद्यालय में नामांकन नहि लैत छैथ तखन हुनकर जगह पर अगिला राउंड के काउंसिलिंग में प्रतीक्षारत अभ्यर्थि सब के मौका देल जेतैन। ऑफलाइन काउंसिलिंग क लेल समुचित व्यवस्था देखिके अभ्यर्थि सब कें संगथ अभिभावक सेहो संतोष व्यक्त क रहल छथि। सेंट्रलाइज्ड काउंसिलिंग के व्यवस्था के कारण समय के सेहो बचत भ रहल अछि आ अभ्यर्थि लोकनि आअभिभाव लोकनि के सेहो सहूलियत हो भ रहल अछि।

प्रो. सिंह ने कहलनि जे चारि वर्षीय इंटीग्रेटेड बी.एड.2021 में नामांकन के लेल चारि महाविद्यालय सब में नामांकन केर प्रक्रिया पूरा भ जायत। एहि चारि महाविद्यालय सब में कुल चारि सय (400) सीट सब पर नामांकन लेल जायत। सबटा महाविद्याल सबहकलिस्ट वेबसाइट पर उपलब्ध अछि। अभ्यर्थि लोकनि के महाविद्यालय के आवंटन मेधा सूची के आधार पर कैल गेल अछि।