राष्ट्रीय सेवा योजना के महारानी कल्याणी महाविद्यालय ,लहेरियासराय इकाई द्वारा सात दिवसीय विशेष शिविर के आयोजन कैल गेल अछि। एहि आयोजन के अंतर्गत शिविर के पांचम दिन पोस्टर, भाषण आ पेंटिंग प्रतियोगिता केर आयोजन कैल गेल।एहि प्रतियोगिता में स्वयंसेवक आ स्वयंसेविका लोकनि बढ़ि – चढ़ि के पूरा हर्ष आ उल्लास के संग भाग लेलनि।ई प्रतियोगिता डरहारे गाम में में संपन्न भेल।भाषण प्रतियोगिता के मुख्य विषय छल: कोविड-19 सं सतर्कता आ टीकाकरण जागरूकता अभियान में युवा लोकनि कें योगदान।

एहि प्रतियोगिता में शिवम चौधरी पहिल, आदिति कुमारी दोसर आ मो अब्दुल्लाह खान तेसर स्थान प्राप्त कएलन्हि। पेंटिंग आ पोस्टर प्रतियोगिता के विषय : कोविड-19 सं सतर्कता छल । पेंटिंग प्रतियोगिता में अंशु कुमारी पहिल, शेखर सुमन दोसर आ विजेता कुमारी तेसर स्थान प्राप्त केलैन। पोस्टर प्रतियोगिता में आकांक्षा कुमारी पहिल, साधु शरण शर्मा दोसर आ जूही कुमारी तेसर स्थान प्राप्त कएलन्हि।भाषण, पोस्टर आ पेंटिंग प्रतियोगिता में पहिल , दोसर आ तेसर स्थान प्राप्त कर बला विजेता लोकनि कें शिविर समापन के दौरान मुख्य अतिथि कें द्वारा सम्मानित कैल जाएत।

प्रतियोगिता संपन्न भेलाके उपरांत अपन भूमिका के निर्वाह करैत स्वयंसेवक आ स्वयंसेविका सब कें कोविड-19 सं जुड़ल सतर्कता आ ओकर टीकाकरण सं संबंधित पोस्टर के डरहार गामक गली, चौराहे आदि पर साटब आ ग्रामवासी लोकनि कें कोविड-19 के टीका सब कें जानकारी बला पर्चा सेहो बांटि जाहिसँ ग्रामवासी कोनो तरहक अफवाह सब पर ध्यान नही दैध आ कोविड-19 के टीका लगवाब अवश्ये जाएथ आ अफवाह सब पर एकटा लगाम लगाब में एकटा जनसमुदाय के जागृत क सकी।

राष्ट्रीय सेवा योजना की कार्यक्रम पदाधिकारी डॉ प्रियंका राय स्वयंसेवक लोकनि कें बधाई दैत कहलन्हि जे समाज आ राष्ट्र केर उन्नति में राष्ट्रीय सेवा योजना के स्वयंसेवक के भूमिका महत्वपूर्ण होइत अछि।कोविड-19 जेहन वैश्विक महामारी के स्थिति में सेहो अपना सबहक स्वयंसेवक पूरा तन- मन सं एकरा विरुद्ध लड़ि रहल छथि आ ग्रामवासी सब तक कोविड-19 के लक्षण, ओकरा सं बचबाक उपाय आ टीकाकरण के आवश्यकता इत्यादि संबंधित बात सब कें लोक भाषा में पहुंचाब के सफल प्रयास क रहल छथि। हमरा खुशी अछि जे राष्ट्रीय सेवा योजना द्वारा ई शुभ काज करबाक मौका भेटल अछि आ एहि शिविर के हमारा सबहक स्वयंसेवक आ स्वयंसेविका सब अपन पूरा निष्ठा, समर्पण आ सेवा भाव सं एहि शिविर के सफल बनेलन्हि अछि। हम प्रत्येक स्वयंसेवक के प्रति आभार व्यक्त करैत छियन्हि।