40.01 प्रतिशत पुरूष आ 59.98 प्रतिशत महिला लोकनि केलनि मतदान।

दरभंगा– 78-कुशेश्वरस्थान (अ.जा.) विधान सभा उप निर्वाचन में 30 अक्टूबर 2021 के कुल 1लाख 30 हजार 982 मतदाता लोकनि मतदान कएलन्हि। जाहिमे 52 हजार 417 पुरुष आ  78 हजार 565 महिला लोकनि मतदान केलनि। कुल मतदान सं यदि पुरुष आ महिला मतदाता सबहक प्रतिशत निकाली तखन 40% पुरुष आ 60 प्रतिशत महिला मतदाता लोकनि मतदान कएलन्हि। जखन कि कुल मतदान के प्रतिशत 50. 94 रहल।
     मुदा यदि केवल महिला मतदाता सब में सं महिला मतदान के प्रतिशत निकालि तखन ई 64.41% आ पुरुष मतदाता सबमें से पुरुष मतदान के प्रतिशत निकाली तखन ई 38. 77 प्रतिशत रहल।एहि प्रकारे 30 अक्टूबर के 78-कुशेश्वरस्थान (अ जा0)विधानसभा उप निर्वाचन में महिला लोकनि बढ़ि चैढ़के हिस्सा लेलथि। खास बात ई रहल जे जाहि 44 मतदान केंद्र सबमें केवल महिला मतदाता लोकनि के लेल बनाओल गेल छल, ओहि मे मतदान केर प्रतिशत 64.65 रहल।
    जनतब रहे जे 78-कुशेश्वरस्थान (अ0जा0)विधानसभा निर्वाचन क्षेत्र में कुल 2लाख 57 हजार 153 मतदाता छथि। जाहिमे 1 लाख 35 हजार 178 पुरुष आ 1 लाख 21 हजार 974 महिला आ 01 आन मतदाता सब शामिल छथि।