Breaking News

दरभंगा चिकित्सा महाविद्यालय अस्पताल’क कार्डियोलॉजिस्ट डा प्रवीन कुमार झा के दिल्ली मे 25 नवंबर के एशिया टुडे रिसर्च एण्ड मीडिया (ASIA TODAY) दिस सं कार्डियोलॉजिस्ट केर क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदान देबाक लेल ऐशियन हेल्थ केयर समिट एण्ड अवार्ड 2021 दिस सं बिहार के सर्वश्रेष्ठ कार्डियोलॉजिस्ट के अवार्ड सं सम्मानित कैल गेलन्हि ।

ई अवार्ड हुनका नयी दिल्ली मे राष्ट्रीय स्तर पर आयोजित एकटा कार्यक्रम के दौरान देल गेलन्हि। डा प्रवीण कुमार झा किछ दिन पूर्व’हिं रिम्स सं डीएमसीएच मे योगदान देने छलाह।

सर्वश्रेष्ठ कार्डियोलॉजिस्ट’क अवार्ड भेटलापर डा प्रवीण कुमार झा एशिया टुडे के धन्यवाद देलथि आ अपन ई अवार्ड अपन शिक्षक आ मरीज लोकनि के समर्पित कएलन्हि। ओ हर्ष व्यक्त करैत कहलन्हि जे चिकित्सा’क क्षेत्र मे भेटल ई अवार्ड जिम्मेदारी बढ़बाक अनुभव करबैत अछि। ओ कहलनि जे मरीज लोकनि के नीक चिकित्सा सेवा करबाक उपलक्ष्य मे भेटल ई अवार्ड गौरवपूर्ण अछि। ओ कहलनि जे एकरा लेल हम संस्था के सबटा पदाधिकारी सबके प्रति आभार प्रकट करैत छियन्हि आ विश्वास दियाबति छियन्हि जे मरीज लोकनि के नीक आ आसान चिकित्सा सेवा उपलब्ध कराबई मे सदिखन तत्पर रहब। ओ कहलनि जे आम जन मे ई धारण बनि गेल अछि जे भगवान के संगहि चिकित्सको एहन होइत छथि जे मरीज लोकनि के इलाज क’ हुनकर जान बचेबा मे अपन महती भूमिका के निर्वहन करैत छथि। ताहि कारणें, चिकित्सक के सेहो हुनकर यैह भाव के आदर करैत मरीज लोकनि कें समुचित इलाज करबाक चाही।

दिल्ली मे भेल एहि कार्यक्रम मे दिल्ली पुलिस के विशेष आयुक्त मुक्तेश्वर चंदेर,नागालैंड सरकार के विशेष मुख्य सचिव सह आवास आयुक्त ज्योति कैलाश,भाजपा के राष्ट्रीय सचिव सुनील देवघर,सासंद सुनीता दुग्गल,पद्मश्री जीतेंद्र नारायण,जया प्रदा सहित आनो गणमान्य उपस्थित छलाह।