Breaking News

विश्वविद्यालय बचाओ संघर्ष मोर्चा’क तत्वावधान में विश्वविद्यालय प्रांगण में आयोजित प्रतिरोध सभा के
सम्बोधित करैत,बिहार’क प्रदेश जदयू शिक्षा प्रकोष्ठ के प्रदेश उपाध्यक्ष सह संबद्ध महाविद्यालय संघर्ष समिति के अध्यक्ष डॉ राम मोहन झा कहलनि जे बिहार’क शिक्षा के मंदिर कलंकित भ गेल एकर पूर्ण रूप सं जिम्मेदार कुलाधिपति कार्यालय अछि ।

सबसं पहिने वर्तमान कुलपति के तत्काल हटा देल जाय। वर्तमान कुलपति के रहैत, विश्वविद्यालयों में भ्रष्टाचार खत्म नहि कैल जा सकैत अछि। डॉ झा कहलनि जे वर्ष 2013 में माननीय सर्वोच्च न्यायालय के आदेश पर बिहार के एकटा विश्वविद्यालय के छोड़ि के भ्रष्टाचार’क आरोप में सब विश्वविद्यालय’क कुलपति के हटा देल गेल छल। डॉ झा कहलनि जे विश्वविद्यालय डिग्री बांटबाक केन्द्र भ गेल अछि। छात्र’क उपस्थिति नगण्य छैन्ह। जौं भ्रष्टाचार के समाप्त कएनाइ अछि तखन सशक्त आंदोलन के आवश्यकता अछि।