बिहार’क समस्तीपुर जिला के विभूतिपुर प्रखंड’क मिश्रौलिया वार्ड 4 निवासी किसान अरविन्द कुमार वृंद आ गृहणी रीना देवी के पुत्री कल्याणी कुमारी, दिल्ली पुलिस मे चयनित भ’ के पूरा समस्तीपुर जिला के मान बढ़ेलनि। कल्याणी कुमारी के चयन दिल्ली पुलिस में कांस्टेबल केर पद पर भेल छन्हि। चयन के बाद स्वजन सबमें हर्ष’क माहौल अछि।हिनकर पिता कहलथि जे कल्याणी नेनपने सं मेधावी रहल छथि । हिनकर +2 हाई स्कूल मिश्रौलिया सं मैट्रिक आ इंटरमीडिएट के परीक्षा प्रथम श्रेणी सं उत्तीर्ण भेलथि। एखन ओ ग्रेजुएशन पार्ट 2 मे अध्ययनरत छथि। कल्याणी, अपन सफलता के श्रेय माता-पिता,गुरुजन आ साकारात्मक सोच के आ सबटा सहयोगी सबकेँ देलथि। ओ यूपीएससी केर तैयारी कर चाहैत छथि।कल्याणी के सफलता पर क्षेत्रीय माकपा विधायक अजय कुमार, पूर्व मुखिया सुलेखा कुमारी, भाजपा नेता अरविन्द कुमार कुशवाहा, रूपांजलि कुमारी, विनय भूषण, एमपी मिश्र, चंदन कुमार राय, दिलीप नारायण सिंह उर्फ पप्पू, सुनीता कुमारी, अवकाश प्राप्त शिक्षक रामचंद्र महतो, प्रेमचंद्र प्रसाद सिंह, प्रमिला देवी, उमेश प्रसाद सिंह, राम नारायण सिंह, रामकृष्ण मुकेश, प्रीतम राज, सत्यम शिवम समेत दर्जनो लोक सब बधाई देलन्हि।