#MNN@24X7 सम्पूर्ण मिथिलाक गाम गाम नगर नगरमे शक्ति उपासनाक विशेष महत्व अछि। प्रत्येक वर्ष आश्विन मासमे शक्ति पूजा नवरात्र मे आयोजित होइत अछि। दुर्गा पूजाक प्रभाव कमोवेश पूरा भारतमे रहैत अछि, किन्तु मिथिला, बंगाल आ आसाममे शक्ति पूजाक विशेष महत्व अछि। साल भरिमे कुल चारिटा नवरात्र होइत अछि। दू टा प्रगट आ दू टा गुप्त नवरात्र। एहि प्रकारक वर्णन देव पुराणमे भेटैत अछि।
सनातन धर्मक मान्यता अनुसार चैत मासमे पहिल नवरात्र, आषाढ़मे दोसर नवरात्र, तेसर नवरात्र आश्विन मासमे आ चारिम नवरात्र माघ मासमे होइत अछि।

प्रगट नवरात्रक रूपमे चैत आ आश्विन मासक नवरात्र प्रसिद्ध अछि, शेष दू टा गुप्त नवरात्र मानल जाइत अछि। ताहूमे आश्विनक मासमे मनाओल जाइ वला दुर्गा पूजा विशेष महत्वपूर्ण अछि। एहि अवसपर विभिन्न दुर्गा मंदिर सभमे माँक मूर्ति स्थापित क’ वैदिक वा तांत्रिक पद्धतिसँ पूजा अर्चना कएल जाइत अछि।

मधुबनी जिलाक अन्ध्राठाढ़ी प्रखंडमे स्थित अछि उत्तमगाम ननौर। एहि गामक संबंधमे एकटा बड प्राचीन लोकोक्ति छै-: *पाँच कोश पचही परगना उत्तमगाम ननौर*। एहि गाममे आश्विन मासक ई दुर्गापूजा विशेष धूमधामसँ श्रद्धा भक्ति आ हर्षोल्लासक संग मनाओल जाइछ। एहि ठामक पूजा पद्धति पंडित हीरालाल मिश्र द्वारा लिखित अछि। एहि ठामक पूजा वैदिक पद्धति आ तांत्रिक पद्धतिक मिश्रित परम्परा अनुसार सम्पन्न होइत अछि।

आइ आन आन जिला जयवारक संग उत्तमगाम ननौरमे सेहो नवरात्रिक अन्तिम दिन विजयादशमीक आयोजन भव्यताक संग भ’ रहल अछि।

एहि वर्ष एहि अवसरपर दुर्गा पूजा समिति ननौर द्वारा समितिक अध्यक्ष (जमादार) श्री दुर्गा नन्द झा जीक नेतृत्व मे समितिक सदस्य श्री हरेराम मण्डल, श्री गिरजानन्द मिश्र,श्री कुलानंद चौधरी, श्री प्रशन्न कुमार झा, श्री मिहिर कुमार झा, श्री मिन्टू कुमार झा, श्री प्रमोद कुमार झा आ प्रो. श्री दयानंद झाक सहयोग संगहि गौंवाँ सभक समर्थनसँ मन्दिर परिसरमे षष्ठी, सप्तमी,अष्टमी आ नवमीकेँ स्थित मंच पर *चारि राति चारि रंग* सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित भ’ रहल अछि।

रिपोर्टर-: अखिलेश कुमार झा