दरभंगा, 25 दिसम्बर –  सहायक निदेशक (नियोजन), अवर प्रादेशिक नियोजनालय, दरभंगा आशीष आनन्द द्वारा प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत कहल गेल जे श्रम संसाधन विभाग केर तत्वाधान में संयुक्त श्रम भवन, रामनगर, लहेरियासराय आई.टी.आई के लगीचे अवस्थित अवर प्रादेशिक नियोजनालय, दरभंगा के माध्यम सं *क्वेश कॉर्प लिमिटेड, गाजिलापुर, हैदराबाद* केर माध्यम सं L & T कम्पनी मे लगभग 100 मशीन फीटर, वेल्डर, सेटरिंग, पलम्बर, इलेक्ट्रिशियन एहेन पद सब पर फ्रेस वा अनुभवी कामगार सब के लेल रोजगार हेतु 29 दिसम्बर 2021 के ऑफ लाईन जॉब कैंप’क आयोजन कैल गेल अछि।
एहि जॉब कैंप मे 18 वर्ष सं 45 वर्ष तक के आई.टी.आई/+2/डिप्लोमा धारी योग्य अभ्यर्थी एहि जॉब कैंप में शामिल भ सकैत छथि।
कंपनी द्वारा उक्त पद हेतु अधिकतम 15, 000 +  Incentives रुपये प्रति महीना देल जाएत।
कंपनी के निर्धारित मापदंड केर आलोक में इच्छुक अभ्यर्थी अपन-अपन बायोडाटा के संग जॉब कैंप में भाग ल सकैत छथि। अभ्यर्थी सबकेँ उक्त पद हेतु कलपक्कमन आ चेन्नई मे रोजगार उपलब्ध कराओल जायत। जॉब कैंप में भाग लेबाक लेल अभ्यर्थी के Ncs Portal पर निबंधन भेनाइ अनिवार्य अछि ।