दरभंगा क’ केवटी प्रखंड मे आजुक दिन क्रिसमस डे केर अवसर पर सीधा सादा हिन्दू ग्रामीण के ईसाई मिशनरी द्वारा फुसिया के पाई के लोभ लालच द’ केधर्मान्तरण कराओल जा रहल छल। जखन ग्रामीण सबहक द्वारा एकर सूचना विहिप बजरंगदल के कार्यकर्ता सबकेँ देल गेल तखन गो रक्षा के जिला संयोजक राजीव प्रकाश मधूकर केर नेतृत्व मे बजरंगदल के कार्यकर्ता सब ओत पहुंच गेलाह आ प्रशासन कए सूचना देबाक बात कहलथि की ओ सब ईसाई पादरी ओत सं भागि गेलाह।
मौका पर गो रक्षा के जिला प्रमुख राजीव प्रकाश मधूकर कहलनि जे एहि प्रखंड मे धडल्ले सं धर्मान्तरण भ’ रहल अछि क्रिसमस डे केर अवसर पर पैघ स्तर पर विदेशी पाई के बले गरीब हिन्दू सबहक धर्मान्तरण होइत अछि अवैध चर्च बनाओल जा रहल अछि आ प्रशासन मूकदर्शक बनल अछि ओतहि विश्व हिंदू परिषद के जिला मंत्री अभय मिश्रा ने कहलन्हि यदि एकर सुक्ष्म जांच क’ अविलंब धर्मान्तरण पर रोक नई लगाओल गेल तखन बजरंगदल चर्च लग जा अपन प्रदर्शन करत। ओतहि एहि मौका पर जत धर्मांतरण किया गया छल ओहि समाज’क किछु महिला आ बजरंग दल के कार्यकर्ता सबहक द्वारा हिंदू सांस्कृतिक रिती रिवाज’क माध्यमे 25 दिसंबर जे तुलसी पूजन दिवसक नाम सं जानल जाइत अछि ओकर पूजन कार्यक्रम ग्राम वासी सबहक द्वारा कैल गेल। ओहि ठाम सब महिला बढ़ि -चढ़ि के भाग लेलनि आ आश्वासन देलथि जे आब फेर ओ लोक सब एतय कोनो प्रकार’क धर्मांतरण धर्म परिवर्तन नहीं हेब देतैथ। ओतहि एहि मौका पर उपस्थित हिंदू जागरण मंच के प्रांत मंत्री वरुण जी जिला के सेवा प्रमुख संजीव जी सह संयोजक अविनाश राष्ट्रवादी मिलन केंद्र प्रमुख सुमित कुमार राय केवटी प्रखंड मंत्री मनीष ठाकुर बजरंग दल सहसंयोजक ओम प्रकाश मीडिया प्रभारी उदित कुमार केवटी पंचायत संयोजक मिथिलेश कुमार संयोजक कृष्णा कुमार पवन कश्यप सुजीत कुमार मनोज कुमार साहनी बैजनाथ कुमार आ दर्जनों क संख्या मे गाम क महिला आ पुरुष उपस्थित छलाह।