Breaking News

दरभंगा ।ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति डॉ एस पी सिंह के कुलाधिपति द्वारा बेस्ट कुलपति के अवार्ड सं सम्मानित कैल जेबा पर आजुक दिन दिनांक 4 दिसंबर के मिथिला लोकमंथन के दरभंगा इकाई आ एमआरएम कॉलेज’क छात्रा इकाई द्वारा कुलपति जी के अभिनंदन हुनकर कार्यालय कक्ष में कैल गेल। एहि कार्यक्रम के संयोजक एमआरएम कॉलेज के गृह विज्ञान विभाग के विभागाध्यक्ष डॉ कन्हैया चौधरी छलाहl सम्मानित कर’ बला सब में एमआरएम कॉलेज दरभंगा के छात्रा सब, दामिनी कुमारी, पूजा कुमारी, वर्षा कुमारी, संध्या कुमारी, सुनैयना कुमारी, पिंकी कुमारी सहित दर्जन भरि छात्रा सब छलीह।
प्रधानाचार्य डॉ अरविंद कुमार झा छात्रा लोकनिक एहि पहल के लेल धन्यवाद देलन्हि।