Breaking News

दरभंगा, शहर’क लहेरियासराय थाना क्षेत्र के बेंता ओपी अंतर्गत अल्लपट्टी दोनार रोड के बीच इमली गाछक सामने स्थित कॉलोनी में धीरेन्द्र सिंह के मकान’क किराएदार शिक्षिका रीनू देवी के 15 वर्षीय पुत्र माही सिंह रविदिन भोरे 9.30 बजे सं लापता छथि।

मां रीनू देवी के अनुसार माही 9.40 am में घर सं दोनार चौक स्थित कैनरा बैंक के एटीएम गेलथि। जकर बाद माही वापस घर नहि एलाह।परिजन किडनैपिंग की आशंका सेहो व्यक्त क रहल छथि संगहि कोनो तरहक अनहोनी हेबाक डर सं भयाक्रांत छथि। एकर उपरांत दरभंगा के वरीय पुलिस अधीक्षक बाबूराम मामला के गंभीरता सं लैत अग्रतर कार्रवाई करबाक आदेश देलनि।तदुपरान्त CCTV फुटेज जांच में बच्चा के दोनार गोलम्बर सं दोनार गुमती दिस जाइत, परिजन द्वारा चिन्हबाक बात सेहो कहल जा रहल अछि।