#MNN@24X7 दरभंगा। केंद्रीय पुस्तकालय, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के प्रभारी प्रो दमन कुमार झा केऽ दू वर्ष सफलतापूर्वक पूर्ण होएबाक अवसर पर केंद्रीय पुस्तकालय केऽ कर्मिलोकनि हुनका बुके आ मिठाई भेंट कऽ प्रसन्नता व्यक्त कएलन्हि।

एहि अवसर पर पुस्तकालय प्रभारी प्रो झा कहलनि जे अहाँ सबगोटे क’ प्रेम अछि जे एहि तरहेँ हमरा गौरवान्वित केलहुँ। ई हमर नहि अहाँ सबहक सम्मान अछि। कुलपति महोदय प्रो सुरेन्द्र प्रताप सिंह केऽ निर्देश आ अहाँ सबहक सहयोगे सँ आई केंद्रीय पुस्तकालय एहि अत्याधुनिक रूप में आबि पाओल अछि। ई बिहार’क पहिल विश्वविद्यालय अछि जतय ई-पुस्तकालय, आ ब्रेल-लाइब्रेरी केऽ सुविधा उपलब्ध अछि। एतबहि नहि, एतय आब बला विद्यार्थिसब, शोधार्थिसब आ शिक्षण लोकनि कें बैसबाक सेहो समुचित व्यवस्था अछि। अहाँ सबहक व्यवहार कुशलता कें कारणेँ विद्यार्थि सबहक संख्या निरंतर बढ़ि रहल अछि, आब बला दिन में ई संख्या तीन सय के पार पहुंच जायत। संयोग सं आब हमसब एतेक छात्र सभकेँ सुविधापूर्वक बैसा सकैत छियन्हिि, एकर व्यवस्था केंद्रीय पुस्तकालय में कऽ देल गेल अछि। अहां सब ई प्रेम देखलहुँ एकरा लेल हम कृतज्ञ छी।

एहि अवसर पर केंद्रीय पुस्तकालय केऽ कर्मचारी रूपकांत झा कहलनि जे केना दू वर्ष बीत गेलै पतो नहि लागल। डाक्टर जाहि तरह सबटा बीमारी सबहक इलाज कऽ दैत छथि, ओहि तरहें अहाँ के एला सं लाइब्रेरी सं सम्बंधित सबटा बीमारी केऽ इलाज भऽ गेल। अरुण कुमार राम कहलनि जे अहाँ केँ संग काज कऽ हमरो बहुते किछु सिखबाक अवसर प्राप्त भेल। अहाँ के रहैत पुस्तकालय केऽ कायाकल्प भेनाइ हमरा सबहक लेल गौरव’क बात अछि।

अविनाश कुमार सहनी कहलन्हि जे Infibnet के सेवा सबहक सुविधा केंद्रीय पुस्तकालय में उपलब्ध कराओल जा रहल अछि, जाहि सँ नित प्रतिदिन नव नव जानकारी भेंट रहल अछि, ई केंद्रीय पुस्तकालय केऽ लेल सबसँ पैघ उपलब्धि अछि।

दरभंगा शहर में हो रही साफ सफाई का रात्रि निरीक्षण नगर प्रबंधक के द्वारा किया गया।


एहि अवसर पर रीता कुमारी,रजनीश कुमार मिश्र,अपर्णा कुमारी, निशा कुमारी, ज्ञान प्रकाश,अशोक कुमार दास, चंद्र शेखर मुर्मू, अजीत राम, स्तुति ,विकास, बैद्यनाथ , राजू आदि उपस्थित छलाह।