#MNN@24X7 मधुबनी। अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौर (मधुबनी) केर तत्वावधानमे 24/12/2022 केँ शनि दिन संस्थाक अध्यक्ष डॉक्टर जयानंद मिश्रक आवासपर दुपहरिया सवा दू बजेसँ एकटा झमटगर कवि गोष्ठीक आयोजन भेल, जकर अध्यक्षता अमरनाथ झा ऊर्फ कक्काजी केलनि।

कवि गोष्ठी मे अपन अपन मनोहारी प्रस्तुतिसँ आनंद मोहन झा(हड़री),देवानन्द मिश्र(जलसैन),अजय दास पिंटू(नवानी)
गौड़ीशंकर साह(तुलापत गंज)सत्येन्द्र कर्ण(रेवाड़ी)अमरकांत कर्ण(खड़ौवा) अनिल झा(नवानी) स्थानीय कविमे डॉक्टर जयानन्द मिश्र, प्रदीप पुष्प, डॉक्टर संजीव शमा एवं अखिलेश कुमार झा उपस्थित श्रोता समुदायकेँ मोहित करैत साहित्यिक रसधार बहबैत रहला।

एहि सारस्वत आयोजनक अवसरपर रामेश्वर पासवान,सीताराम झा,फुलीन्द्र मिश्र, गोपाल मिश्र, युवा नेता परमानंद झा,नरेश मिश्र,.लीलाकान्त झा,सहित कतेको गण्यमान्य उपस्थित छला। कुल मिला क’ अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौरक ई पहिल कवि गोष्ठी सफल,सुन्दर आ मनोहारी रहल।

कवि गोष्ठीक संचालन प्रदीप पुष्प आ धन्यवाद ज्ञापन डॉक्टर जयानन्द मिश्र पंजीकार केलनि।

कवि आनंद मोहन झा ‘अभ्युदय’ साहित्यिक मंच ननौरक लेल शुभकामना व्यक्त करैत अपन दू पांति कहलनि-‘पाँचसँ पचास हेतै आस हमरा, बीहनिसँ गाछ हेतै आस हमरा, अभ्युदय छै नाम, आगू बढ़बे करतै, मैथिलीक नव, भाष हेतै आस हमरा।