MNN24X7 बीतल सोमकेँ पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी केर जन्मदिवसक शुभअवसरपर अलीनगर प्रखंडक अधलोआम पंचायत अंतर्गत रसीदपुर गाममे नवयुवक संघ सार्वजनिक पुस्तकालयक औपचारिक रूपसँ समारोहपूर्वक उद्घाटन कयल गेल। नवयुवक सभक एहि विशेष पहलकेँ समस्त ग्रामीण मुक्तकंठसँ सराहना करैत हर संभव सहयोग करबाक वचन देलनि। विदित हो जे पुस्तकालयक स्थापना दू वर्ष पहिने कोरोना कालहिमे
कयल जेबाक छलै।

जकर मूल उद्देश्य ग्रामीण युवाकेँ बौद्धिक रूपसँ जागरूक करैते सशक्त करस थिक। एहि शुभ अवसरपर उपस्थित स्थानीय जिला पार्षद सदस्य नंदकिशोर झा बेचन कहलनि जे पंचायत स्तर पर युवामे पठन-पाठनक संग शैक्षिक रूपसँ राष्ट्र निर्माण आ भविष्य निर्माणमे पुस्तकालय एकटा मजबूत स्तंभक कार्य करैत अछि। उक्त अवसरपर अधलोआम पंचायत केर माननीय सरपंच अनिल मिश्र युवा सभकेँ एहि तरहक सृजनात्मक कार्य करबाक लेल प्रोत्साहित केलनि।

उपस्थित जन प्रतिनिधि कुमरनाथ झा युवा सभकेँ जगरूक आ नागरिक बनने के लिए प्रेरित किया। एहि अवसरपर उपस्थित राधे श्याम झा, सौरभ झा, नवनीत झा, रजनीश ठाकुर, नटवर झा, सुमित, संजय झा, गोविंद झा, बुन्नी झा, दिनेश ठाकुर, रजनीश झा, कमलेश मिश्र, अरूण मिश्र, मुरारी आ समस्त ग्रामीण पुस्तकालय विकासक लेल संकल्प लेलनि।