Breaking News

दरभंगा.29-11-2021 आकाशवाणी महानिदेशालय सं भेटल निर्देशानुसार युवा प्रतिभा खोज प्रतियोगिता #AIRNXT के शुरुआत सोमदिन एमआरएम कॉलेज, दरभंगा सं भेल। कार्यक्रम में छात्रा लोकनि बढ़िचढ़ि के भा’ग लेलन्हि आ आन आन विषय सब पर अपन प्रस्तुति देलन्हि। एहि प्रतियोगिता में एमआरएम कॉलेज’क स्नातक में अंग्रेजी प्रतिष्ठा’क छात्रा चित्रा कुमारी के विजेता घोषित कैल गेलन्हि। एहि अवसर पर कॉलेज’क प्राचार्य डॉ अरविंद कुमार झा कार्यक्रम के सराहना करैत कहलन्हि जे एहेन कार्यक्रम युवा लोकनि में उत्साह’क संचार करत आ आगू बढ़बाक प्रेरणा सेहो देत।

आकाशवाणी दिस सं कार्यक्रम अधिशासी(समन्वयक)अमरनाथ प्रसाद के संग प्रसारण अधिशासी पुष्पेंद्र सौरभ आ श्री बिनीत कुमार ठाकुर उपस्थित छलाह। मंच-संचालन आकाशवाणी दरभंगा के युववाणी-प्रस्तोता निकिता कुमारी कएलन्हि। कॉलेज और आकाशवाणी के बीच समन्वय के काज हिंदी के शिक्षिका नीलम सेन केलनि। कॉलेज के डॉ ख़्वाजा सलाहुद्दीन आ डॉ गज़ाला उर्फ़ी निर्णायक के भूमिका निर्वाह केलनि। धन्यवाद-ज्ञापन करैत अंग्रेजी के सहायक प्राध्यापिका डॉ रूपकला सिन्हा आकाशवाणी सं जुड़ल अपन नेनपन के अनुभव सब के मोन पारलैन आ कहलनि जे आकाशवाणी सदैव समाज में सकारात्मकता के प्रोत्साहन देलक अछि।