Breaking News

आई दिनांक 1 नवंबर 2021 के कुलपति महोदय के कार्यालय में प्रतिष्ठित बहुराष्ट्रीय कंपनियों में चयनित छात्रा लोकनि कें *माननीय कुलपति महोदय प्रोफेसर एसपी सिंह* के हाथ सं रोजगार पत्र वितरित कैल गेल । एहि सं छात्रा लोकनि में अति हर्ष आ संस्थान के प्रति विश्वास के माहौल बनल अछि । एहि अवसर पर संस्थान के निदेशक *डॉ यूके दास*, कुलपति के निजी सचिव श्री कोशल्या नंदन श्रीवास्तव आ संस्थान के टी एंड पी कमिटी के सदस्य श्री संतोष कुमार उपस्थित छलाह ।
ज्ञात हो जे संस्थान के Training & Placement Cell के द्वारा कैल जा रहल सतत प्रयास के फलस्वरूप बहुत रास प्रतिष्ठित बहुराष्ट्रीय कंपनियों सब डब्ल्यू आई टी में छात्रा लोकनि कें चयन प्रक्रिया करबाक स्वीकृति प्रदान केलैन। एहि सिलसिले में Cognizant, Accenture, Capgemini, Wipro, TCS आ KPIT के द्वारा चयन प्रक्रिया सितंबर महीना सं जारी अछि । चयन प्रक्रिया के परिणाम आब धीरे- धीरे आब लागल अछि। एहि प्रक्रिया सब में संस्थान के कंप्यूटर साइंस एंड इंजीनियरिंग एंड आईटी प्री फाइनल ईयर (सत्र 2018- 22) आ फाइनल ईयर (सत्र 2017- 21) के छात्रा सब सम्मिलित भेलन्हि।
एहि संबंध में संस्थान के निदेशक *डॉ यूके दास* *माननीय कुलपति महोदय* आ *माननीय प्रति कुलपति महोदया* सं प्राप्त उचित मार्गदर्शन केर सराहना करैत हुनका प्रति आभार व्यक्त केलनि।
T&P कमिटी के सदस्य *श्री संतोष कुमार* जानकारी दैत प्रतिष्ठित बहुराष्ट्रीय कंपनि सब में चयनित छात्रा लोकनि के नाम के सेहो सांझी कएलन्हि जाहिमे ओ बतेलथि जे कॉग्निजेंट कंपनी में प्रिया कुमारी (सीएसई), सत्र 2018 -22 एवं शिखा कुमारी (सीएसई) सत्र 2018- 22 के चयन कैल गेलन्हि। एहि प्रकारे विप्रो कंपनी में प्रिया कुमारी (सीएसई) सत्र 2018- 22 आ अनुष्का टांटिया (आईटी) सत्र 2018- 22 आ कैपजेमिनी कंपनी में प्रिया देशमुख (सीएसई) सत्र 2017- 21 के चयन कैल गेल अछि । बाकी कंपनी सब के चयन परिणाम सेहो अपेक्षित अछि।